Wednesday, October 10, 2007

बीस साल बाद...

एकरा स बड़का नशा की होएत...एकरा स बड़का खुशी के पल कोन होएत...एहि स बड़का भीड़ कोन होएत...मुम्बई क छत्रपति शिवाजी अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर जखन भारतीय क्रिकेट टीम के सदस्य पहुंचला त लाखों क्रिकेट प्रेमी फूल-माला, ढोल नगाड़ा के साथ हुनका स्वागत कयलाह। लोक सभक कहनाय छलन्हिजे ऐहन स्वागत आई धरि ककरो भेल होय आ कोन काजक लेल एतेक भीड़ उमड़ल होय से हुनका ध्यान नहिं छैन...ट्वेंटी-ट्वेंटी वर्ल्ड कप के फाइनल में पाकिस्तान के हराकए बुधवार सुबह जखन टीम इंडिया के खिलाड़ी सभ मुम्बई पहुंचलाह त पूरा मुम्बई जेना हवाई अड्डा पर हुनका स्वागतक लेल उमड़ि गेल होय...एहि अवसर पर बीसीसीआई अध्यक्ष शरद पवार, महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री विलासराव देशमुख, मीडिया कर्मी ...क्रिकेट प्रेमी आओर की की कहल जाउ सभ ओहि ठाम मौजूद छलाह... सैकड़ों...हजारों के बात नहिं लाखों प्रशंसक...मुम्बई के समुद्रके पास जेना जनसमुद्र उमड़ि पड़ल होय।हवाई अड्डा पर तिलक लगाकय स्वागत भेला के बाद खिलाड़ी सभ के दो मंजिला बस पर बैसा वानखेडे स्टेडियन ल जायल गेल...हवाई अड्डा स वानखेडे स्टेडियम के दूरी करीब ३० किलोमीटर अछि मुदा एतेक दूरी तय करय में करीब पांच घंटाके समय लागल...लागय छल जेना शहरक सभ रास्ता स्टेडियम तरफ जा रहल छै...मुम्बई के सड़क पर एतेक भीड़ कहियो नहिं उमड़ल...लोकक रेलमपेल...सभ आगा निकल टीम इंडिया के विजेता खिलाड़ी के एक झलक देख लेबय चाहैत छलाह... ढोल नगाड़ा के आवाज पर लोक सभ त नाचिते छलाह... श्रीसंत, युवराज और हरभजन सिंह से हो नाचय लगलाह...लोक सभक खुशी के मारे हाल बेहाल छल...संगहि संग टीम के खिलाड़ी सभ सेहो मस्ती स सराबोर भ गेलाह... बस के खुलल छत पर स हाथ हिलाकय वो अपन प्रशंसक अभिवादन स्वीकार करय छलाह ।
वानखेड़े स्टेडियम में बोर्ड अध्यक्ष शरद पवार एकटा भव्य सम्मान समारोह में टीम के स्वागत कयलाह आओर इनाम देलथिन्ह ... चौबीस साल बाद चौबीस तारीख के खिताब जीतय वाला टीम पर बोर्ड धनक बरसा कय़ देलक...एतेक इनाम देल गेल की सभ खिलाड़ी करोड़पति बनि गेलाह...सबस ज्यादा प्रशंसा मिलल युवराज सिंहके जे ६ गेंद पर ६ छक्का जड़ने छलाह। बोर्ड से त हिनका सभके धन मिलबे कयलन्हि अ...हिनका सभ के अपन राज्य में सेहो खूब इनाम मिलल .पिछला विश्वकप में लोकक जे क्रिकेट के प्रति मोहभंग जका भ गेल छल ओकरा ई विश्व कप एक बेर फेर स जगा देलक अ...आब लोक सभ फेर स क्रिकेट के बारे में बात करय लगलाह अ...जे कंपनी पिछला विश्वकप हारला के बाद खिलाड़ी सभ के अपन विज्ञापन से वापस ल लेने छलखिन्ह ओ फेर स खिलाड़ि सभ के पीछे दौड़य लगलाह अछि...खेल के साथ विज्ञापन के सेहो बल्ले बल्ले होय लगल अछि...एहि स सट्टेबाज सभ के पैसा त डूबबे कएल अछि...खेल के प्रप्ति उत्साह सेहो जागल अछि॥

No comments: