मिथिलांचल केर बहुत बड़का इलाका नेपाल में आबैत अछि...अगर भारत नेपाल दुई देशक बात नहिं कएल जाय त मिथिलांचल चौदद्दी उत्तरी बिहार स लक नेपाल तक फैलल अछि...दुनु देशक लोक मैथिल कहाबय छैथि...आओर एहि कारणे दुनु देशक लोक कखनो एक दोसरा के अलग नहिं मानला...शुरू स एकटा परिवार जका रहैत गेला...मुदा नेपाल में माओवादी के आबिते ई सभ बदैलि गेल... पहिने त भारत नेपाल भेल...आब मधेशी वाला बखेड़ा खाड़ भ गेल छै...नेपाल के अपन नागरिक के ई साबित करय पड़ि रहल छै जे ओ नेपाली छैथि की नहिं...हिनका सभके मधेशी कहि भगाइल जा रहल अछि...जबकि नेपालक अर्थव्यवस्था में सभस बड़का योगदान हिनके सभक अछि...नेपाल में राजशाही खत्म होबय के बाद ई लगैत छल जे माओवादी आब शांति स रहता आओर हिंसा त्याग देताह...मुदा आब ओ मधेशी सभके निशाना बनाबय लगलाह अ...नवम्बर में ओहि ठाम चुनाव होबय वाला अछि... एहि के लक बिहार सरकार सेहो चिंता में अई... आशंका अछि जे चुनाव के समय माओवादी या नक्सली गतिविधि तेज भ सकैत अछि...एहि लक पटना में बिहार सरकार आओर नेपाल सरकार के आला अफसरक बैठक सेहो भेल अछि...असल में नेपाल आओर बिहार क बीच ७५० किलोमीटर के खुलल सीमा अई...आओर सुरक्षा के हिसाब स ई बहुत महत्व राखय अछि...ओना आब सीमा पर एसएसबी तैनात अछि मुदा एकरा पर्याप्त नहिं मानल जा सकय अ...एहि मे दिक्कत सेहो छै... ज्यादातर परिवार के कोनो नय कोनो रिश्तेदारी एक दोसर के इलाका में छै...किनको मामा त किनको चाचा नेपाल या बिहार में रहय छथिन्ह...हुनका स नाता केना तोड़ल जा सकय छै...एहि कारणे किछु खास समय के छोड़ि ज्यादा कड़ाई नहिं कएल जाइ अछि...दुनु देशक प्रबुद्ध जन के एक साथ आबि एहन रास्ता निकालय पड़ताह जाहि स एक बेर फेर स लोक सभ शांति स साथ साथ रहि सकय।
Wednesday, October 10, 2007
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment